पिछुला कड़ी सब में आहाँ सब के मिथिला के डीह मधुबनी भ्रमण पर आहाँ सभ केर घुमाबैत फिराबैत हम आरो फोटो संगे हाजिर छी, लsग सय देखबाक बाद निर्णय करू जे हमर मिथिलाक हृदय मधुबनी में की छुटि गेल आ की आबि गेल,
पहिल कड़ी ।दोसर कड़ी । तेसर कड़ी सरकार बदलल आ लालू के गढ़ रहल मिथिला सय लालू के मटियामेट कय नितीश के पाग पहिरौलक मिथिला मुदा विकाश पुरूष के विकाश केर गप्पबाजी में कतय रहिगेल
मिथिला ।
चलू फोटो सय अपन मधुबनी के देखि कय किच्छु सोचु, माँ मैथिली के लेल किछु करू।
बीच मधुबनी में प्रतिष्ठित सूडी स्कूल , भवने टा थीक , जाहि ठाम राष्ट्रीय स्तर के प्रतियोगिता होइत छल ओही ठाम सन्नाटा मधुबनी के वीरान बनबैत छैक । मधुबनी के शंकर टाकिज सिनेमा मानु मधुबनी के शान थीक । मिथिला टाकिज के बिना मधुबनी नगरिया पुरा नही होयत । मधुबनी केर बस स्टैंड , भीड़ भाड़ के बजाय सन्नाटा । कूड़ा के ढेड पर जगदीश नंदन महाविद्यालय ( जे एन कोलेज गेट ) खंडित होइत मिथिला के शान राम कृष्ण महाविद्यालय ( आर के कोलेज ) कहियो प्रतिसठाक संग शहर केर कन्या केर शिक्षा दय वाला कन्या माध्यमिक स्कूल के व्यथा जर्जर भवन । मधुबनी प्रसिद्द संकट मोचन मन्दिर । आहाँ सब अपने विचार करू मिथिला के डीह कतय जा रहा छैक.......
मिथिला दर्शन जारी रहत.......
3 comments:
बड निक लागल , मधुबनिक याद ताज़ा भs गेल .
bahut bahut aabhaar....
... समझना कठिन है !!!
Post a Comment