मैथिलीक अष्टम सूची में शामिल कराबय के लेल संकल्प गीत ( झरोखा )



"संकल्प गीत "


संकल्प लिय संकल्प लिय
संकल्प लिय यौ,
बाजब मैथिलि
मिथिलाक लेल जियब यौ .....
संकल्प लिय .......२


शांतिमय प्रयास हमर ई ,
सुनिलिय देशक नेता.....३
सूचि अष्ठम में स्थान दियौ
आरो नय किछु कहब यौ ....
संकल्प लिय ........२ ।


लाखक लाख पत्र जाइत अछि
आंखि खोलि कs देखू .........३
आबि गेल समय इंदिरा जी ,
मिथिलाक मान राखू ...३
संघर्ष बढ़त जाँ बात ने मनबय
आरो ने हम सहब यै।
संकल्प ........३।


गीतकार : लल्लन प्रसाद ठाकुर
संगीतकार :लल्लन प्रसाद ठाकुर

2 comments:

Pankaj Parashar said...

ई गीत आब सर्वथा निरर्थक भ चुकल अछि. मैथिली संविधानक आठम अनुसूची मे आबि चुकल अछि आ एहि बात केँ पांच-छओ बरख बीति गेल.

रजनीश के झा (Rajneesh K Jha) said...

मित्रप्रव,
जहिना वन्दे मातरम कहियो निरर्थक नहीं भय सकैत तहिना ई गीत सियो.
गीत प्रस्तुति के तात्पर्य मात्र एतेक जे हम अपन लडाई के कोन कोन माध्यम सय लड़लहूँ.

गीत में देल संकल्प के उदघोष केवल मैथिली भाषा के लेल नहीं वा सम्पूर्ण मिथिला केर अधिकार के लेल घोष करैत छैक.

Post a Comment