मधुबनी सय ऐला बहुत दिन भय देल, गाम गेल रही तय वापस आबय सय एल दिन पहिने फटफटिया सय मधुबनी के चौहद्दी नापि लेलहुं आ संगे फोटो सेहो उतारी लेलहुं, बड्ड लोक छैथ जे मधुबन सय बाहर छैथ आ गाम एला बड्ड दिन भय गेलैंह, हुनकरे लेल मधुबनी दर्शन।
संभवतः ई दर्शन में आहाँ सभकेर बदलल मधुबनी देखायत।
पुलिस लाइन काली मन्दिर,
निसंदेह मधुबनी द्वार पर के ई मन्दिर रक्षक के भूमिका में हरिदम तैयार रहैत छैक।
मधुबनी पुलिस लाइन,
आबाद कहू या जर्जर,
मधुबनी प्रहरी के आश्रय अहि ठाम छैन्ह,
ऐतिहासिक धरोहर मुदा रखरखाव बिनु अन्तिम साँस ले रहल छैक।
मधुबनी के आरक्षी अधीक्षक आवास,
नई कोनो बदलाव।
मधुबनी के जज साहेब केर निवास,
किछु बदले या नई,
नबका गेट जरूर लागि गेलेन्ह।
मधुबनी के विकाश कलेक्टर साहेब के घर पर जरुर छैन्ह,
चकचाकाईत जिला अधिकारी निवास।
मधुबनी परिसदन (
सर्किट हॉउस)
मधुबनी सदर अस्पताल की बुझा रहल अई!!!
ई मधुबनी केर मुर्दाघर छैक।
फोटो सय मधुबनी दर्शन जारी रहत, अपन विचार दैत रहु। निक लागल तैयो बजाय लागल तैयो।
5 comments:
aaha ta poora Madhubani utha le elau yau...
अहाँ तs सच में पूरा मधुबनी घुमा देलहुँ , बहुत बहुत धन्यवाद !!!
तस्वीरों से मधुबनी दर्शन, यादें ताजा हुई.
आगे भी दिखाइए
क्या ये मिथिला है, जिसके विकाश का ढिंढोरा नितीश जी से हम सुन रहे हैं ?
जारी रहिये
प्रतिक्रिया के लिए सभी साथियों को धन्यवाद
Post a Comment